Comments

vvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvv

ढकनेशर बाबा के मनचाहा राजधानी by Rahul Golu Jha


मनचाहा प्यार, वशीकरण, परिवारिक कलह, सउतिन से मुक्ति, मुकदमा में जीत, गुप्त खजाना के बाद आब पेश हबे ढकनेशर बाबा से मनचाहा राजधानी

mithila space
नवका राज्य के सूत्रधार तंज सम्राट स्वामी ढकनेशर बाबा एकबेर तांत्रिक बाबा लग में फोन लगेलक।

ओम्हर से मुलायम आवाज आएल- 'कि चाही बौआ'

ढकनेशर :- बाबा आहाँ त सर्वज्ञ छियै बाबा हमर समसिया त आहाँ अपने बूझिये सकै छी, हमरा कहे में संकोच भ रहल अछि।

बाबा हँसलन- ओहो मनचाहा राजधानी?

ढकनेशर के हँ कहला पर बाबा ढक्कनेशर से राजधानी स्थान आ क्षेत्रफल पुछलक, ढकनेशर स्थान आ क्षेत्रफल बतबैत कहलक जे बाबा हमरा राज्य अगल होय या न होय लेकिन राजधानी भेट जाय त आगू के जीवन मे चार चांद लागि जेत।

बाबा कहलक:- तोहर इरादा आ हरकत देख के बुझा रहल हउ जे ई आसान न हई अइ लेल बहुत कठिन साधना करे परत ताहि हेतु बहुत समान लगतई तै लेल तीस-चालीस हजार लगतउ।बहुत मोल जोल के बाद बाबा से सौदा 20 हज़ार में तय भेल।


बाबा कलहल:- तत्काल नवका सरसो के 10 टा दाना आ 5 ता मखान लेला 10 लाख बेर जयघोष करा हमरा चाही फलना राज्य, ताले हमरॉ पैसा भेट जेतो तब अगिला मंत्रसिद्ध सरसों आ मखान के दाना से करबै तखन उ दाना जहाँ जा के छिट देबहक उ पवित्र स्थान 24 घण्टा से राजधानी में बदल जेतो।काम न भेला पर पैसा वापसी के गारंटी हउ बच्चा।


लेकिन अप्पन ढकनेशर त अपने तेज उ कहलक:- हे बाबा हम त बेरोजगार आदमी 20 हजार के जुआ खेले में डर भ रहल हबे आहाँ पहिने राजधानी बना दु तखन पाई भेज देब हम। हनरो दिस सँ फूल गारन्टी अछि।

बाबा गुस्सा के कहलाह:- मूर्ख बालक चंदा के पैसा देबे में भी एतेक डरबही त जो तोरा श्राप दैत छियौ कहियो तोहर राजधानी न बनतउ।

ढकनेशर भी हिंदी में विनोद वचन सब सुना के फोन काट देलक।




ई अर्टिकल के बारे में हमरा सबके प्रतिकिया जरूर देब ताकि हम सब एहन और भी हास्य विनोद संबंधी आर्टिकल Mithila Space पर उपलब्ध करवाएब।

valentine day maithili poetry - राजू एस. यादव

अहाँ पसिन छी हमरा।

हम अहाँके छी वा नै,
हमरा पता नै!
अहाँक माथ पर सटल ओ बिंदी
लागै जेना दिनकर केँ हिंदी
पेन्हने छी जे नीला साड़ी
दूर सँ लागी नीलगिरीक पहाड़ी
जखन अहाँक फ़ोटो के निहारी
हर्षित भअ जाय दिल'क कमरा
अहाँ पसिन छी हमरा।
हम अहाँके छी वा नै,
हमरा पता नै!
मोन परै अहाँक बोली
फोन पर केल्हा हँसी-ठिठोली
सूर्योदय सँ सूर्योदय तक
देखी हम अहींक सपना
कहिया हटतै प्रेम सँ अपना
राहु-केतु आ शनिचर'क पहरा
अहाँ पसिन छी हमरा।
हम अहाँकेँ छी वा नै,
हमरा पता नै!
परपोज़ नै हमरा क'र' अबैए
की लिखी किछ नै फुरैए
कहाँदिन अहाँ बहुते पढ़ल छी
तब किएक अंजान बनल छी
पढ़ी लियौ ने मोन में की छै
चली रहल छै कोन ककहरा
अहाँ पसिन छी हमरा।
हम अहाँकेँ छी वा नै,
हमरा पता नै!

- राजू एस. यादव




conclusion

ई  valentine day maithili poetry केहन लागल आहाँ सब जरूर बताउ आ आहाँ सब अप्पन रचना आ आर्टिकल भी भेजू हमर सबके Whatsapp पर, आहाँ के आर्टीकल रचना सब में अगर दम हेत त जरूर पब्लिस हेत।

Ramayan Research Council 51 टा पवित्र स्थल के माटी से हेत भूमिपूजन

ramayan research council के तत्वावधान में जानकी प्राकट्य स्थल सीतामढ़ी में 251 फिट ऊँच प्रतिमा के भूमिपूजन लेल भारत के 51 विभिन्न पवित्र स्थल से माटी आ जल लाबे के क्रम में कल्हे कॉउन्सिल के टीम ऋषिकेश पहुँचलक, ऋषिकेश के राम तपोस्थली ब्रह्मा पूरी आश्रम में आयोजित कएल गेल संत संवाद में ऋषिकेश के मेयर श्रीमति अनीता मामगाईं जी भी उपस्थित रहलथिन।



संवाद संगोष्ठी के अध्यक्षता करैत 

  • महामंडलेश्वर स्वामी दयाराम दास ही महाराज कहलथिन जे हमरा सभके भगवान श्री राम आ रामायण के मानव कल्याण संदेस के जन ज़न तक पंहुचाबे लेल हर संभव कोशिश करबाक चाही।
  •  महामंडलेश्वर श्री ईश्वर दास जी महाराज कहलथिन जे रामायण रिसर्च कॉउन्सिल के तत्वावधान में बइन रहल माता सीता जी के प्राकट्य स्थल सीतामढ़ी में 251फिट ऊंच प्रतिमा एकटा ऐतिहासिक काज अछि, हम सब संत के एहि पुनीत काज में लागू एबाक चाही।

  • महामंडलेश्वर स्वामी विद्यानंद सरस्वती जी कहलथिन उत्तराखंड में संत समाज के जोड़े में भी पहल के जरूरत अछि आ अहि संबंध में हम काउंसिल के हर संभव मदद करब।
  • संगोष्ठी के बाद ऋषिकेश के मेयर श्रीमति अनिता जी कहलथिन्ह जे सीताजी जी पूरा जगत के महिला के लेल एकटा आदर्श छथिन आ हमेशा लेल हमर सबके प्रेरणा के स्रोत बनल रहथिन।

संगोष्ठी के पश्चात स्वामी दयाराम दास  महाराज  “मिटटी आ गंगा जल” दे के कॉउन्सिल टीम के केलखिन विदा, 
महामंडलेश्वर दयाराम दास महाराज अप्पन हाथ से सौपलथिन पवित्र मिट्टी आ गंगा जल जेकर खूबसूरत वीडियो देखु  सबके Facebook page पर।

conclusion


ई आर्टिकल केहन लागल एकर सलाह सुझाव आ प्रतिक्रिया जरूर दूँ हमर सबके Facebook page के आ Twitter हैन्डल के आहाँ सब फॉलो करू ताकि अगिला आर्टिकल के जानकारी आहाँ सबके आसानी जे प्राप्त भ जाय।

ramayan research council - 29 April के भ सकैत अछि सीता जी के विशाल प्रतिमा के भूमिपूजन

सीतामढ़ी में भगवती सीता जी के 251 फीट के विशाल प्रतिमा के शिलान्यास 29 अप्रैल 2023 के भ सकैत अछि, अइ संबंध में सीतामढ़ी के बखरी महंथ श्री रामलीला दास जी महाराज पुष्टि केलाह, कहलैथ जे भुमि में प्रधानमंत्री मोदी आ महामहिम राष्ट्रपति श्रीमति द्रोपदी मुर्मू जी शामिल होथिन।
हालांकि ramayan research council टीम द्वारा अभी कोई ऑफिसियल अपडेट नई आयल हबे हमरा सिनी के,
ramayan research council




ramayan research council के अंतर्गत एकटा समिति के गठन कैल गेल हबे श्रीभगवती सीता तीर्थ क्षेत्र समिति के नाम से जकर अध्यक्ष सीतामढ़ी के वर्तमान सांसद श्री सुनील कुमार पिंटू के बनाएल गेल हबे।
रामायण रिसर्च कांउसिल के द्वारा भूमि अधिग्रहण के काज संपन्न भेल हबे आ आब भूमि के समतलीकरण भ रहल हबे।
ramayan research council

टोटल 51 एकड़ में तीर्थ क्षेत्र के विकास कएल जाएत जाहि में एकटा सीता जी के 251 फिट के विशाल प्रतिमा के संगे 108 टा हुनकर जीवनी पर आधारित अन्य प्रतिमा भी स्थापित हेत।
करीब 400 करोड़ के सीतामढ़ी के सबसे पैघ जानकी जी लेल लागत से बने वाला प्रतिमा के ले के सीतामढ़ी में खुशी के माहौल बनल अछि आ पर्यटक के अनंत अवसर लेल सीतामढ़ी अपना आपके तैयार क रहल हबे मिथिला के सबसे पैघ आ लोकप्रिय जिला के रूप में।  


ramayan research council आ मिथिला, मैथिली से जुड़ल और जानकारी के लेल Mithila Space से जुड़ल रहू।
ई आर्टिकल आहाँ आहाँ सबके केहन लागत जरूर बताउ आ हमर फेसबुक पेज @mithilaspace जे लाइक आ फॉलो करू।

sheohar railway station -30 साल के सपना रेलवे स्टेशन होय अपना

वर्ष 1994 सीतामढ़ी से शिवहर जिला के ऐतिहासिक पल, रघुनाथ झा जी के सपना के भोर भेल आ बनल एकटा नवका जिला।
जिला बनला लगभग 30 साल हो गेल लेकिन मूलभूत सुविधाए से वंचित आइयो अछि बिहार से सबसे छोट शिवहर जिला।

sheohar railway station

रघुनाथ झा कहले रहथिन जे शिवहर के हम।हरयाणा बनेबय लेकिन अखन तक Sheohar Railway Station शिलान्यास के बाद भी न बन सकल आखिर कमी कहाँ हई वहाँ के निम्न वर्ग मेट्रो सिटी वाला युग में ट्रेन भी न देखने अछि।बिहार में एक तरफ सीसा के पुल त एक तरफ तारामंडल एयरपोर्ट बन रहल हई लेकिन शिवहर आइयो आस में अछि जे हमर सबके Sheohar Railway Station के सपना जरूर पूरा हेत।



2007 में तत्कालीन रेलमंत्री लालू प्रसाद यादव जी के द्वारा सीतामढ़ी-शिवहर-बापूधाम के शिलान्यास भेल रहे लेकिन अखन त रेलमार्ग निर्माण कार्य के पक्रिया अटकल अछि
sheohar railway station
शिवहर के सबसे निकटतम रेलवे स्टेशन सीतामढ़ी रेलवे स्टेशन हई जे लगभग 40 किलोमीटर हेत।
मिथिला राज्य के निर्माण के अंधा जिद करे वाला के Shivhar Railway Station पर जरूर एकटा पैघ आंदोलन करबाक चाही अगर शिवहर के Mithila Rajya के नक्सा में शिवहर के शामिल कैने छथिन त ई हुनकर सबके नैतिक जिम्मेदारी बनैत अछि।


conclusion

आहाँ सब Mithila Space पर ई आर्टीकल पढ़ रहल छी,sheohar railway station के समस्या पर हमर विश्लेषण केहन लागल से जरूर हमर सबके Contact US फॉर्म के माध्यम से बताउ।

त्रेता के पाहून Ram के नाम कलयुग में Shaligram के सनेस

प्राचीन मिथिला के राजधानी जनकपुर से ई अद्भुत संदेश के सोसल मीडिया पर लोक खूब पसंद क रहल छथिन।नेपाल के मिथिला वाया भारत के मिथिला से उत्तरप्रदेश के याद अयोध्यापुरी ले जायल गेल।
तिला सकराईत पर मिथिला में अखनो परंपरा अछि जे सनेस भेजल जाइत अछि आ संक्रान्ति के ठीक बाद शालीग्राम शिला रूपी सनेस त्रेता के कल्पना करा देलक, त्रेता में भी शायद एहने सनेश ले जायल गेल हेत जनक जी के दरबार से 

 ई पता चलैत हबे जे यहाँ के लोक कतेक संस्कृति प्रिये अछि।

मिथिला के ई नजरिया से तीनों लोक के स्वामी मिथिला के पाहुन आ जगत के जननी मिथिला के धिया ,ई भाव व्यक्त करैत अछि जे हम सब अखन भी कतेक ज्यादा अप्पन संस्कृति के ले के कट्टर छी।
 

conclusion

मिथिला के नव पीढ़ी के ई दायित्व अछि जे अप्पन संस्कृति के विभिन्न माध्यम से दुनिया के बताउ जे अप्पन संस्कृति कतेक महत्वपूर्ण हई।
हमर Mithila Space के यात्रा भी त्रेता के 2023 तक जोड़े लेल सांस्कृतिक पुल बनाबे के यात्रा हई। ई Artical के सलाह सुझाव प्रतिक्रिया आहाँ सब जरूर दु आ मिथिला के सांस्कृतिक यात्रा में हमर सबके सहयोग करू।