Comments

vvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvvv

Ramayan Research Council 51 टा पवित्र स्थल के माटी से हेत भूमिपूजन

ramayan research council के तत्वावधान में जानकी प्राकट्य स्थल सीतामढ़ी में 251 फिट ऊँच प्रतिमा के भूमिपूजन लेल भारत के 51 विभिन्न पवित्र स्थल से माटी आ जल लाबे के क्रम में कल्हे कॉउन्सिल के टीम ऋषिकेश पहुँचलक, ऋषिकेश के राम तपोस्थली ब्रह्मा पूरी आश्रम में आयोजित कएल गेल संत संवाद में ऋषिकेश के मेयर श्रीमति अनीता मामगाईं जी भी उपस्थित रहलथिन।



संवाद संगोष्ठी के अध्यक्षता करैत 

  • महामंडलेश्वर स्वामी दयाराम दास ही महाराज कहलथिन जे हमरा सभके भगवान श्री राम आ रामायण के मानव कल्याण संदेस के जन ज़न तक पंहुचाबे लेल हर संभव कोशिश करबाक चाही।
  •  महामंडलेश्वर श्री ईश्वर दास जी महाराज कहलथिन जे रामायण रिसर्च कॉउन्सिल के तत्वावधान में बइन रहल माता सीता जी के प्राकट्य स्थल सीतामढ़ी में 251फिट ऊंच प्रतिमा एकटा ऐतिहासिक काज अछि, हम सब संत के एहि पुनीत काज में लागू एबाक चाही।

  • महामंडलेश्वर स्वामी विद्यानंद सरस्वती जी कहलथिन उत्तराखंड में संत समाज के जोड़े में भी पहल के जरूरत अछि आ अहि संबंध में हम काउंसिल के हर संभव मदद करब।
  • संगोष्ठी के बाद ऋषिकेश के मेयर श्रीमति अनिता जी कहलथिन्ह जे सीताजी जी पूरा जगत के महिला के लेल एकटा आदर्श छथिन आ हमेशा लेल हमर सबके प्रेरणा के स्रोत बनल रहथिन।

संगोष्ठी के पश्चात स्वामी दयाराम दास  महाराज  “मिटटी आ गंगा जल” दे के कॉउन्सिल टीम के केलखिन विदा, 
महामंडलेश्वर दयाराम दास महाराज अप्पन हाथ से सौपलथिन पवित्र मिट्टी आ गंगा जल जेकर खूबसूरत वीडियो देखु  सबके Facebook page पर।

conclusion


ई आर्टिकल केहन लागल एकर सलाह सुझाव आ प्रतिक्रिया जरूर दूँ हमर सबके Facebook page के आ Twitter हैन्डल के आहाँ सब फॉलो करू ताकि अगिला आर्टिकल के जानकारी आहाँ सबके आसानी जे प्राप्त भ जाय।